नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नवरात्रि


आई सं देश भर में नौ दिन तक मनायल जाइ वाला शारदीय नवरात्र के शुरूआत भ गेल... शुरूआत जलयात्रा आ कलश स्थापन के साथ भेल...पितृपक्ष के बाद नौ दिन देवी के नौ स्वरुपक पूजा कएल जाइत अछि...प्रथम शैलपुत्री, द्वितीय नवरात्र ब्रह्मचारिणी देवी, तृतीय नवरात्र चंद्रघंटा, चतुर्थ नवरात्र देवी कुष्मांडा, पंचम स्कंदमाता, षष्ठ नवरात्र कात्यायनी, सप्तम नवरात्र कालरात्रि, अष्टम नवरात्र महागौरी आओर नवम नवरात्र में भगवती के सिद्धियात्री रूपक उपासना होयत अछि...

एहि साल देवी मां दुर्गा डोली पर आबैत छथिन्ह आओर प्रस्थान महिषी पर...लोक सभ अपन घर पर दुर्गा पाठ कए मंदिर में सेहो दर्शन करय लेल पहुंचि रहल छथि। नवरात्र के दौरान लोक सभ व्रत, पूजा पाठ करैत छथि...सात्विक जीवन बिताबय छथि... मांसाहारी खाना छोड़ि देवी मां के पूजा अर्चना करैत छथि...गाम घर में मंदिर सभ के खुब नीक सं सजायल जाइत अछि...कई तरहक कार्यक्रम सेहो होयत अछि...नाटक, गीत- नाच -गान सभ होयत अछि...ऑर्केस्ट्रा मेला-ठेलाक सेहो मजा मिलैत अछि...मंदिर सभ में भारी भीड़ उमड़ैत अछि...

दिल्ली में छतरपुर मंदिर, झंडेवालान मंदिर में विशेष भीड़ रहैत अछि...वैष्णो देवी मंदिर, कामाख्या देवी, ज्वाला देवी, विंध्या देवी मंदिर में नौ दिन तक पूजा अर्चना करल लेल लोकक भीड़ लागल रहत...गुजरात आओर कई जगह गरबा आओर डांडिया के धूम रहैत अछि... नवरात्र के नौ दिन पूजा पाठ त चलते अछि...खरीदारी सेहो खुब होयत अछि...दोकानदार सभ नव नव स्कीम... सेल सं लोकक के खरीदय के ऑफर दैत छथिन्ह...नवरात्र के दौरान लोक सभ दोसरो शुभ काज करैत छथिन्ह...

1 टिप्पणी:

  1. Hi, i am glad to see you blogging in maithali.... you know i understand this language (but not so properly) coz this is my mother language. and yes, I like this language your posts.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु