नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

टीवी जर्नलिज्म

ऑर्कुट पर एकटा मित्र के स्क्रेप आयल कि इलेक्ट्रॉनिक पत्रकारिता में केना आयल जाय आओर ई की छै एकरा बारे में किछु बताउ...हमरा विचार सं एकरा बारे में ब्लॉग पर बतयनाय बेस नीक होयत... किएक त एहि बारे में आओर लोक के सेहो पता चलि जैतन्हि...आई काल्हि मीडिया में सभस तेजी सं बढ़य वाला किछु अई त ओ अछि इलेक्ट्रॉनिक मीडिया...टीवी जर्नलिज्म...पहिने त दूरदर्शन आ आकाशवाणीए छल... मुदा आब त ऐहन हाल छे जे चैनलक बाढ़ि आबि गेल ...न्यूज़ चैनल देखल जाय त आजतक, स्टार न्यूज, इंडिया टीवी, एनडीटीवी, आईबीएन , जी न्यूज़... आओर सहारा समय टीआरपी में ऊपर रहय वाला चैनल अई...ई त भेल हिन्दी वाला अंग्रेजी में एनडीटीवी २४/ , सीएनएन आईबीएन, टाइम्स नॉउ, प्रमुख अई...एकरा अलावा सीएनबीसी आवाज, जी बिजनेस, एनडीटीवी प्रॉफिट, मेट्रो नेशन, तेज, सहारा समय एनसीआर, मुंबई, उत्तर प्रदेश/ उत्तराखंड, बिहार/ झारखंड, मध्यप्रदेश/ छत्तीसगढ़, ईटीवी, टोटल टीवी, एस वन, एमएचवन जैसन दर्जनों चैनल अई...आओर जल्दीए बीएजी, त्रिवेणी, आईएनएक्स, सहारा समय के उर्दु, राजस्थान आओर पंजाब चैनल आबय वाला अछि।
जखन एतेक चैनल आबि रहल छै त लोकसभ के सेहो राखि रहल छै...एहि कारणे एहि चैनल सभ में रोजगार के अवसर सेहो ढेर-ढाकि छै...एकरा लेल विज्ञापन आबय के इंतजार करय के सेहो जरूरत नहिं...सीवी...बॉयोडाटा ल क चैनल सभ में कनि दौड़ धूपि करिऔ...सफलता मिलत...इलेक्ट्रानिक मीडिया में ज्यादातर लोक एंकर या रिपोर्टर बनय लेल आबैत छथि... मुदा एकर संख्या सीमित रहय छै... एंकर, रिपोर्टर के अलावा बहुत किछु आओर छै जकरा में हाथ अजमाइल जा सकय छै...आओर ऊ सभ परदा के पीछा होयत अछि...आम लोक के ओकरा बारे में ज्यादा पता नहि होयत छनि...एहि मे प्रोडक्शन असिस्टेंट, असिस्टेंट प्रोड्यूसर, प्रोड्यूसर, सीनियर प्रोड्यूसर, कैमरामैन...साउंड, विजन, डायरेक्शन, मेकअप सं लSक गेस्ट कॉर्डिनेशन तक के जॉब मिलैत अछि...अहां जेहि में लगाव अछि...काज के लेल अप्लाई क सकय छी...
मुदा एहन नहिं होयत कि कतउ सं अयिलौं आ नौकरी के लेल अप्लाई कय देलौंह...एकरा लेल अहांक के पहिने से जानकारी होबाक चाहि... या त अहां पहिने से पेपर...अखबार में काम कएने होय या ओकरा लेल रिपोर्टिंग कएने होय...तखनो इलेक्ट्रॉनिक मीडिया में आबय लेल कोनो मास कम्यूनिकेशन संस्थान सं डिप्लोमा या डिग्री कोर्स क लेल जाय त बेस नीक...कोर्स के लेल नाम लिखयबाक लेल कम स कम बीए होबाक जरूरी छै...आब त कइटा टीवी चैवल वाला सेहो ट्रेनिंग संस्थान खोलि लेलक अ... मीडिया ट्रेनिंग के लेल सभस नीक संस्थान अई भारतीय जनसंचार संस्थान (आईआईएमसी)...आओर जामिया ...एकर अलावा सैकड़ों संस्थान डिप्लोमा, डिग्री कोर्स कराबय छै...
इलेक्ट्रॉनिक मीडिया के अहां दु भाग में देखि सकय छी...एडिटोरियल आओर टेक्नीकल में...एडिटोरियल में सेहो इनपुट आओर आउटपुट होइत अछि...एहि में अहां रिसर्च, प्रोग्रामिंग के सेहो रखि सकय छी...इनपुट के लोक बाहर सं खबर मंगयबा पर ध्यान दै छथिन्ह...ओ सदिखन रिपोर्टर सभ स सम्पर्क में रहैत छथिन्ह...स्टोरी प्लान करय छथिन्ह...शॉट्य सभक जोगाड़ करय छथिन्ह...आओर आउटपुट वाला फील्ड स आयल न्यूज के प्रसारण लायक बनाबय छथिन्ह... स्टोरी के केहन मोड़ देबय के छई... ओकरा पूरा स्टोरी बनाबय के छई या ग्राफिक्स देबय के छई...सिर्फ खबर पढ़ि क कनि शॉट्स देखयबाक छै या ओकरा विशेष रुप देबय के छै... सभ आउटपुट के तय करय पड़ैछ...स्टोरी के स्क्रिप्ट तैयार भ गेला के बाद ओकरा एडीटिंग के लेल भेजय पड़ैत अछि...वीडियो एडीटर ओकरा शॉट्स...बाइट लगाक इफेक्ट द तैयार करय छथिन्ह...
एकरा बाद पीसीआर(प्रोडक्शन कंट्रोल रुम) में स्टूडियो डायरेक्टर, स्वीचर, साउंड इंजीनियर, टीपी सभ के लोक रहैत छथिन्ह...स्टोरी ...प्रोग्राम में नव जीवन देबय लेल ग्राफिक्स डिजायनर, प्रोग्रामर सभ रहैत छथिन्ह...एकरे साथ एमसीआर...इंजेस्ट डिपार्टमेंट होयत...यानी सिर्फ रिपोर्टर एंकर के जॉब नहिं अहां दोसरो लेल अप्लाई क सकय छी...आ एहि क्षेत्र में अपन पैर जमाबय चाहय छी त कैमरा...डायरेक्शन...एडीटिंग...एनीमेशन...ग्राफिक्स के पढ़ाई के एहि में अपन भाग्य अजमा सकय छी... एहि लेल यदि एंकर...रिपोर्टिंग में नहिं होय त निराश होय के जरूरत नहिं छै...स्क्रिप्ट राइटिंग स लक एडीटिंग...कैमरा तक बहुत किछु छै जाहि लेल अहां पढ़ाई कए सकैय छी...अप्लाई क सकय छी आओर काज क सकय छी.

1 टिप्पणी:

  1. बड़ निक लागि रहल अछि भाय,
    मुदा एग्रीगेटर सब क सेहो जोड़ देल जाइ ब्लाग पर त रिडर क संख्या बेढ़ जेते

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु