नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

रिंकु पर केस

तीन साल के बुच्ची...आओर ओकरा पर मारि-पीट करय के केस...विश्वास नहिं होयअ... हमरो नहिं होयत छल...मुदा कि करबय । अपन मिथिलांचल में रोज किछु नई किछु नव होयत रहैत अछि...दरभंगा के बहादुरपुर में एहिना भेल...एहि ठाम चोरि आ मारि-पीट के आरोप में एकटा तीन साल के बुच्ची के अभियुक्त बनाओल गेल...ओना तीन साल के रिंकु के साथ ओकर सात साल के दोसर बहिन...माई-बाप आओर चाचा के सेहो अभियुक्त बनाओल गेल...बुच्ची पर बगल वाला घर स बर्तन आओर रुपया चुराबय के आरोप छई...
बुच्ची के अभियुक्त बनौला से लोक सभ सन्न छथि... इलाका में जिनका एहि बारे में पता चलय छनि ओ चौंक जाई छथि...हुनका सभ के विश्वास नहिं भ रहल छनि जे ई बुच्ची पर केस भ गेल...सिर्फ लोके सभ नहिं कानून के जानकार लोकनि सेहो हैरान छथि... मुदा पुलिस के कि कहल जाउ हुनकर त दुनिया अलग छैन...पुलिस के त ई हाल जे ओ अपन गलति मानय लेल तैयार नहिं...

दर-दुनिया स अंजान तीन साल के बुच्ची के त ईहो नहिं पता छै जे केस कि होइछ आओर ओकरा घर के बाहर एकाएक एतेक भीड़ किएक लागि गेल छै...पेपर...टीवी के कैमरामैन...पत्रकार सभ ओकर आगा- पीछा कए फोटो लेबय...समाचार बनाबय में लागल छथि...जे होय घर के स लोक त थाना आओर कोर्ट के चक्कर लगा रहल छथि.

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु