नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा जयनगर बड़ी लाइन


आखिरकार दरभंगा स जयनगर के बीच ट्रेनक चलनाय शुरू भ गेल...रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव २५ तारीख के जयनगर स कोलकाता के बीच चलय वाला गंगासागर एक्सप्रेस के झंडा दिखा बड़ी लाइन के उद्घाटन कएलाह...एहि अवसर पर रेलमंत्री मिथिलांचलक लोकके भरोसा देलथिन्ह जे जल्दीए जयनगर-दिल्ली के बीच गरीब रथ ट्रेन शुरू कएल जायत आओर जयनगर स्टेशन के माडल स्टेशन बनायओल जाएत।जयनगर स्टेशन स फिलहाल दुई जोड़ी सवाड़ी गाड़ी, शहीद एक्सप्रेस, जानकी एक्सप्रेस, सरयू यमुना एक्सप्रेस आओर कमला गंगा इंटरसिटी एक्सप्रेस चलत...बाद में दोसरो गाड़ी के एहिठाम स विस्तार देल जायत...रेल मंत्री लालू यादव कहलथिल्ह जे सीतामढ़ी-भीट्ठामोड़, जयनगर, लौकहा, निर्मली, रेल लाईन के सर्वे कार्य संपन्न भ चुकल छै आओर अगला बजट में सीतामढ़ी, निर्मली रेल लाईन के कार्य आरंभ कए देल जाएत।

दरभंगा जयनगर के बीच मीटर गेज (एमजी) बिछय के लगभग सौ साल बाद ब्राड गेज (बीजी) गाड़ी के परिचालन शुरू भेल अछि .. 1964 ई. में प्रकाशित पीसी चौधरी जीक किताब'बिहार डिस्ट्रिक्ट गजेटियर' के अनुसार 1907 वर्ष में सकरी-जयनगर के बीच नयी लाइन शुरू कएल गेल छल

श्री लालू यादव के सभा में भारी भीड़ उमड़ल...असल में रेल लाइन बंद भेला स लोक बड़ परेशान छलाह... कई बेर धरना प्रदर्शन...बंद सेहो भेल रहय..आब एक बेर फेर स रेल लाइन शुरू भेला स लोक सभ खुश छथिन्ह...मिथिलांचल स बाहर रहल वाला लोक लभ के सेहो ध्यान एहि बात पर लागल छल जे कहिका एकर उद्घाटन होयत...एहिस सिर्फ बिहार के दरभंगा मधुबनी के लोक के नहिं बल्कि नेपालक लोक के सेहो फायदा होयत...जयनगर में बैठु आओर सीधे दिल्ली...कोलकाता अमृतसर पंजाब पहुंचु....एखन भले एगो दुगो गाड़ी चलय के शुरू भेल अ धीरे धीरे दोसरो गाड़ी सभ चलबे करत... लोकसभ के बड़का सुविधा भऽ गेल अछि। आब रोजगारों खूब भेटत...इलाका में खुशहाली आयत।

ओना दरभंगा जयनगर रेलखंड पर ट्रेन चलनाय शुरू भेनो के बाद लोक में मुंहतकी के आलम छैबे छै ... लोकल गाड़ी अखन नहिं के बराबर अछि...नहिं कोनो टाइम टेबल उपलब्ध छै नई कोनो ट्रेन दिखि रहल छै...बस इहे उम्मीद छै जे बड़ी लाइन के उद्गाटन भ गेल त ट्रेने चलबे करत

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु