नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

ऑर्कुट पर प्रेस क्लब


एकटा नया सर्वे आयल अछि... सर्वे के कहवाक छै जे भारत में इंटरनेटक इस्तेमाल करय वाला करीब आधा लोगसोशल नेटवर्किंग में अपन समय बिताबय छथिन्ह... एहि मामला में ऑर्कुट नम्बर १ पर अछि... एकर बाद डेटिंगआओर वैवाहिक साइट सभ के नंबर अछि...आई काल्हि ऑर्कुट पर नेटवर्किंग के जोर पकड़ल अछि... मेट्रो सS लक छोट छोट शहर...गांव घर तक ऑर्कुट अपन पक़ड बनौले जा रहल अछि...कोनो साइबर कैफे में चलिजाउ...आधा स ज्यादा लोग ऑर्कुटियाब में लगल मिल जाइत....ओना एकर फायदा सेहो बड़ छै...दोस्त सभ खूबबनय छै...अहांक संगी सभ जे बिछुड़ गेल छथि...बहुत दिन स भेट घांटि नहिं बेल छै...ऑर्कुट के माध्यम ससम्पर्क में बनल रहि सकय छी...मुदा ऑर्कुट पर चिरकुटौय सेहो कम नहिं भ रहय अछि...हाल फिलहाल में कईटाएहन कांड भ गेल अ जहि स एकरा ऊपर सवाल सेहो उठय लागल अई...ई क्राइम... सेक्स...देह व्यापार के सहायकसेहो बनल जा रहल अछि...
एहि पर लोग सभ अपन अपन कम्युनिटी सेहो बनौले छथि...अपन विचारधारा...धर्म...जात... रोजगार...कामकाजस जुड़ल कम्युनिटी बनल अछि...ई लोक सभ के एकटा प्लेटफॉर्म उपलब्ध करबावय छै...
ऑर्कुट स हमहुं जुड़ल छी आओर मिथिलाक कम्युनिटी स सेहो जुड़ल छी...दुटा कम्युनिटी हमहु बनौले छी...एकटाअछि "मिथिलांचल प्रेस क्लब"...दोसर अछि "मैं हूं ना"...
असल में मिथिलांचल स सैकड़ों मिल दूर आबि हम सभ अपन अपन काम काज में लागल छी...एहि के कतेकहमर पत्रकार भाई लोकनि सेहो छैथि...सूचनाक आदान प्रदान जे हमर सभक शौक छल आब ओ पेशा बनि गेलअछि... आओर खबरक आपाधापी के बीच हम अपन लोक...गाम घर के नहिं भूलि....अपन पुरनका याद के जीवितराखि एकरा लेल मिथिलांचल प्रेस क्लब एकटा माध्यम बनि सकय अछि...अहां दुनिया के कोनो कोना में होय ईमंच के मार्फत आपस में मिल जुल सकय छी...अपन विचार रखि सकय छी...मीडिया के अंदर के खबर एक दोसरस शेयर क सकैत छी...मिथिलांचल विकासक बात के साथ साथ अपन लोक सभ के ईहो बता सकय छियए जेकोन जगह नौकरी के लेल लोक के जरूरत छै...ई मंच के माध्यम स हम पत्रकारिता स रूचि रखय वाला लोक सजुड़ि त सकय छी साथे...जे एहि क्षेत्र में आगा बढ़य चाहैत छैथि हुनका मार्गदर्शन सेहो क सकैत छी...त आउ एहिमंच पर अहांक स्वागत अछि...

मिथिलांचल प्रेस क्लब
http://www.orkut.com/Community.aspx?cmm=३६३१४९६९

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु